सोमवार, 5 दिसंबर 2022

आंजुर भरि फूल

फूलक सिनेह आई छई ककरा प्रति
रंग सुगंध आई छई जकरा  प्रति
हेतई समर्पित आई ओ तकरा प्रति


ठाम ठाम ढेरिआयल रहय धान
खरिहान में
बैसल रहय गोबराहा बाबा

गोबरौरक कपाड
आ की
गेनाक थोंका बेसम्हार
सितायल, कठुआयल
खरिहानक नार-पुआर

टीक पर घोंपल गेना महान
कन्हुआ क दय छय तान
बूडले रहतह तोहर कपाड
देखहक ने  ढेरीक नीचामे पडल
छय आंजुर भरि
सिंगरहार

गोबराहा बाबौवाचः
तू गेना, गोबरक ढ़ेरी ऊपर
फूल ओ सुच्चा निच्चा परल
 हुब्बा ककर करतौ तोहर परतर
ओकरा निच्चासन तोरा टीकासन





मंगलवार, 19 अगस्त 2014

धन्वन्तरी सूत्र

मैथिल कोकिल विद्यापति द्वारा लिखल धन्वन्तरी क  परामर्श  सरिपहूँ अर्वाचीन रहितहु समीचीन अछि

      कोटिशः  नमन

हमार प्रयास एतबे जे इ   फकडा फेर स जिवंत भ उठय आ व्यक्ति अप्पन नीक स्वास्थ्य स निक विचार संग जिनगी सम्पूर्ण करथि

शनिवार, 28 सितंबर 2013

ओना त आय पारण छ्य जिउतिया  पावनि के मुदा किछ मोन में छल आ किछ सुनल छल पितामाहिक मुँह सँ जेना कि
---
जितिया पावनि बड्ड भारी ,
       धिया पुता के ठोकि सुतौलनी
अपने   लेलनि  भरि  थारी |
----
जितियाक कथा भिन्न भिन्न रुपे लोक में प्रचलित अछि किन्तु कथा में आयल जिमुतवाहनक  नाम, प्रथम शताब्दी में लिखल
"गुनाधाय" जे कि पैशाचिक भाषा (प्राचीन कश्मीरी भाषा  ) में लिखल अछ, तदनंतर ,वृहत्कथामंजरी (सातम शताब्दी )आ कथासरित्सागर (एगारहम शताब्दी )  में वृहद रूप सँ वर्णित अछि एवं कथा में आयल गरुड़क प्रसंग महाभारत सँ लेल गेल अछि ,जीमूतवाहन देवता छलाह कि नहि से नहीं जानि मुदा ओ विद्याधर जाति के छलाह , मनुक्ख आ देवताक बीच मेंका जाति |
.
.
धन्य हमर मैथिल परम्परा जे कतहु सँ आ कथू बिछि  बना दैत अछि ककरो महान |
धन्य हमर मैथिल माय जे कहिनी सुनि पावनि राखि धिया पुता माँगथि सुरुज चान ||

मंगलवार, 20 अप्रैल 2010

नओत

अप्पन खिस्सा  में हम नाढ़िया के हुआं हुआं  नहि कर देबय  तैं की हम्मर कुक्कुर भूकत नहि  से केना हेतै . खिस्सा हम्मर, अहाँ कान- बात  दी चाहे नहि दी, आहि    रौ ब्बा ,   इ   की   भेलैय,    अहाँ नहि सुनबय  त हम्मर  खिस्से   ख़तम   नहि हेतैय    की  यौ फल्लांबाबु . से  सैह......... .धुत्त......  किदन कहलके जे ...
बेस  त  एकटा बात  मोने मोने घुर्घुराय अछी जे खिस्सा के बिच में हुम्हुम्मा करय  बला  त चाही तैं यौ   फल्लां बाबु अहाँ के सुनय चाही हम्मर कुक्कुरक कटौझ 

रविवार, 29 नवंबर 2009

मातृभाषा प्रेम

बोली प्रति सिनेह जओ देखबाक हो त अप्पन मैथिल खास क ओ मैथिल बंधुवर जे अपना के प्रवासी कहय छथि हुनका सभ स छोखगर उदाहरण तकनाई व्यर्थ अछि . अप्पन संघ ,समाज ,संगठन ,चेतना ,मंच ,मचान आ दलान जेना तेना तानि क कोनो  ने कोनो नवतुरिया वर्ग के बसिया चासनी में अद्धपक्कू कथा पेहानी सुना मैथिलि भाषा केर प्रति और मोअन घोर क दैत छथिन्ह और मंच सँ उतरि अंगरेजिया बोली में बाजि अप्पन औघोतनाइ प्रदर्शित करय छथि ( इ ब्लॉग पढ़निहार निशंक रहथु की जे लिखनिहार के कोनो  आ किनको प्रति भावनात्मक हिंसा करबाक भावना नहीं अछि ,एकरा केवल मात्र प्रतिक्रिया टा बुझी   )

फ़ॉलोअर